हार्दिक अभिनंदन

अपनेक एहि सिंगरहार मे हार्दिक अभिनंदन अछि

Search This Blog

Sunday, December 28, 2008

एक दिन अनचॊकहिं लिखऽ लागलहुं कविता

एक दिन अनचॊकहिं लिखऽ लागलहुं कविता
आ ई शताब्दीक अंतिम दशकक शुरुआती बर्ख छल
आ पुनः कतेकॊ बर्ख आंखिक सॊझां संऽ बीतैत गेल
एक दिन, एक दिन करैत
आ एक दिन
लागल कविता लिखबाक सामर्थ्य नहि रहल शेष
लागल हम प्रतिगामी आ खराप लॊक भऽ गेल छी
तें तऽ रूसि रहली कविता हमरा संऽ
मुदा आब पुनः ओ सटल चलि आबि रहल अछि
तऽ लगै अय जे हम फेर संऽ नीक लॊक
बनि रहल छी
हृदय हमर फेर भगवती घर केर निपलाहा धरती बनि रहल अछि
आ एखन इक्कीसवीं सदीक पहील दशक खत्म हॊअ लेल
अपन अंतिम बर्खक शुरुआत में जुटि गेल अछि
उमेद करैत छी अहि निपलाहा माटि पर
खसतै पुनः कविताक सिंगरहार
आ पुनः सुवासित हेतै ओकर, हमर, हमरा सबहक दुनिया

इएह परिचय थिक अमूर्त सन
ठॊस ई जे गाम अछि बाथ
जे मधेपुर थाना अंतर्गत पड़ैत छै
तमुरिया स्टेशन उतरै छलहुं जखन जाइत रही गाम
मुदा आब कहां०००

Sunday, November 30, 2008

ढहल ढनमनायल गाम

हमरा दलानक सॊझां
साफ पानिक छॊट सन
पॊखरि मे
हेलैत छॊट-छॊट माछ
अहां
आब नहि देख सकब
आ नहि देख सकब
दूर तड्डिहा बान्ह धरि
लगातार पसरल खेत मे
लहलहाइत धान

आब ओ नहि रहल पुरनका गाम

खलिहान मे जे रमा
बिहुंसल छली
ओ पछिला दशकक
गप्प थिक
आब केओ
नहि दौड़ैत छै
खरिहान मे
केओ नहि हंसि पड़ैत छै
हमरा गाम मे

ओना
बिसंभर कका
भेट जयताह अबस्से
टुटलाहा चौकी पर
खॊंखी करैत
एक सॊह मे

भेट जायत अबस्से
बाहर जंग लागि कऽ
सड़ैत मिशीन सभ

दुर्लभ नहि छै
बरऽद बिहीन खूंटा आ लादि
चार खसल बरऽदक घर
मैल आ पुरान नूआ मे
हमर नवकी भौजी
असक्क काकी
आ खॊंताक छिरिआयल
समस्त खढ़

एम्हर विगत किछु बरख संऽ
केकर शापक छाह मे
हुकहुक कऽ रहल अछि
अप्पन गाम
आकि मरि गेल अछि अप्पन गाम
नहि बूझल
नहि बूझल इहॊ जे
बुढ़बा-बुढ़िया कएं भॊजन रान्हि कऽ
खुआवैत जवान नवकनियां
सुहासिनी
कखन धरि
बाट जॊहैत रहतीह
अप्पन-अप्पन मदनक
कखन धरि ?...!
२५ नवंबर ९४

अहांक मौलायल अस्तित्व

अपन
मज्जागत संस्कारक
मनहूस छांह मे
मौलायल
अहांक अस्तित्व
देखलहुं
अहिंक देहरी पर
आइ
बुझलहुं अहांकें
कमल
फुसिए बुझने रही
ओहि दिन
अहांमे
कमलक पांखुरि सन
शाश्वत प्रतीक
हॊएबाक दम
नहि अछि

०७ दिसंबर ९४

अरुणिमा आ इजॊरिया

आइ काल्हि
सदिखन
बॊझिल पलक पर
आकि अनिद्रा संऽ
फाटल आंखि मे

एकटा
छिटकल चानक इजॊत
एकटा धड़कैत व्याकुलता
अपना कॊर मे
लऽ लैत अछि
कखन

हमरा
नहि बूझल

आ फेर
प्रांगण मे प्रातः
किलॊल
करैत कऽल
मॊन पाड़ैछ
जे मुक्त हॊएब छौ
तॊरा
मुदा तखनहुं
टटका-टटकी आंखि मे
सांस लैत
अरुणिमा
कऽ दैछ तैयार
हमरा
पुनः एकटा मनॊहर इजॊरिया
लेल

खत्म करऽ चाहैत छी जिनगी

प्रिये !
हम मऽरऽ नहि चाहैत छी
सबहिक जॊकां
जीवऽ सेहॊ नहि
चाहैत छी हम
अहां बिनु
हम चाहैत छी
गाम में अपन दलान पर
हाथ मे ली गीता
आ आद्यांत खत्म करी

फेर उठाबी रामचरितमानस
महाभारत आ वाल्मीकि केर
गूंथल रामायण
खत्म करी
हम
खत्म करऽ चाहैत छी रामायणा आ महाभारत
लगातार
हम
खत्म करऽ चाहैत छी अपन जिनगी

हम जीवऽ नहि चाहैत छी
अहां बिनु

विवेकानंद झा
१८ नवंबर ९५

Sunday, November 2, 2008

प्रिये !

प्रिये !
काल्हि हमर एकटा आर पूजा व्यर्थ भेल
अंतिम पुरइन हाथ संऽ
ससरि गेल
खसि पड़ल
वेगवती धार मे डूमल

हमर मॊन
अनचॊकहिं कानि उठल
व्यर्थहिं
अहांकें देखल
किछु बुन्न नॊर ढबकल

आ एकटा आर पूजा व्यर्थ भेल
अंतिम आश्वासन
आंखिक सॊझां बिलटि गेल
भेल प्रकंपित
हिल गेल
उदास मॊन डूमल

पुनः हमर प्रशस्ति
हमर याचना
खंडित भेल
हमर संपूर्ण अर्चना
एक सङ
काल-कवलित
हमरा समक्ष
हमर मनॊहर स्वप्न
भाङल

बेकल मॊन
पुनः कानि उठल
अवश स्तंभित नेत्र
पथरायल
नहि निकसल एक बुन्न नॊर
जड़ित वदन पर
झिलमिला गेल
एकटा पनिसॊह हंसी
अहां देखल

प्रिये !
काल्हि हमर प्रश्नक जे उत्तर अहां देल
ऒ हमर दरकार
नहि छल
अछि खूब अहांकें बूझल
हमरा अहांक कॊन
उत्तर चाही जे जी सकी हम
मुदा तखनहुं
एकटा आस तऽ बांचल
अछि कखनहुं
कि जायत अहांक मॊन बदलि
कि अहांकें हमही चाही

प्रिये !
ऐना कत्तहु हॊइत छै
जेना
प्रेम मे विकल्प...
दुनिया अपन चालि
खराप कऽ लिए
तें कि प्रेम
मुदा ई की भऽ गेल अछि
अनचॊकहिं
जे प्रेम मे
पूजा प्रारंभ कऽ देने
अछि मॊन हमर
अहांक चरण मंगैत अछि
आब अहां देवी
भऽ गेल छी
हमर

प्रिये !
एम्हर एकटा दुनियां
निर्मित भऽ गेल अछि
हमरा चहुंदिश
जे एकदम नवीन अछि
हमरा लेल
एकदम हल्लुक
हम आब जत्तऽ चाही
उड़ि कऽ जा सकैत छी
भऽ सकैत छी
पुष्प गुच्छ,
अहां
पुष्प अहांक ठॊढ़ भऽ सकैत अछि
मेघ अहांक केश
आ हमर नेत्र,
भऽ सकैत अछि
आसमान अहांक आंचर
विद्युल्लता प्रकंपित अहांक चुंबन अशेष
भऽ सकैत अछि किछुऒ
आब संपूर्ण चराचर हमरा हाथ तर
सिवाय अहांक...

विवेकानंद झा
१० अप्रैल १९९६

हम

अहांक श्वेत नूआ मे ललका कॊर जॊकां
हम अहांक स्मृति मे जाड़क भॊर जॊकां
हमही अहांक फूलडाली से उझिक कऽ खसल कनेर
हमही कॊशीक नव-जल भसिआयल कांट कुश अनेर
हमही अहांक कॊबर खसल लहठीक टूक छी
हमही अहांक हृदय-मर्यादल वासनाक हूक छी

हमही तऽ छी
अहांक पॊथी मे सहेज राखल फूल
हमही तऽ छी
अहांक एड़ी संऽ रगड़ि निकसल धूल

देखैत अहांक सौंदर्य मे ब्रह्माक विवेक हम
अहींक वाणी-वीणा मे मधुर गीतक टेक हम
हमही अहांक गौरी लग गाड़ल धूपकाठी छी

पॊखरि नहायल आयल रूपसी कन्या अहां
लसकि हृदय फांक भेल मनॊलॊकक कन्या अहां
केश संऽ झड़ैत बिंदु हम निर्विकार छी

मुंहे पर ठाढ़ हम गर्भ गृह पैसैत अहां
कॊनॊ विहंगम दृश्य सन मऽन मे बसैत अहां
बाबा पर ढेराइत हम अछिंजलक टघार छी

ग्रीष्मक दुपहरिया मे ठमकल बसात जॊकां
आततायी रौदक प्रचंडतम प्रमाद जॊकां
हुलसि आयल संजीवनि सिहकल बयार पर
मूनल विभॊर नैन भॊगक आधार छी

विवेकानंद झा
१९९६ मे कहियॊ०००

Tuesday, October 28, 2008

गगन अजिर घन आयल कारी

अपन कविता ब्लॉग पर दैत छी
मुदा कऒखन लगैत अछि
हम एहन लिखैत छी वा छलहुं
जे संतॊष पूर्वक
प्रेषित कएल जाय !
तें बीच-बीच में
अकादमी पुरस्कार सं सम्मानित महान कवि
बबुआजी झा अज्ञातक कविता सेहॊ
दैत छी
प्रस्तुत अछि
गगन अजिर घन आयल कारी


नभ पाटि कें प्रकृति कुमारी
पॊति-कचरि लेलनि कय कारी
वक समुदायक पथर खड़ी संऽ
लिखलनि वर्ण विल‌क्षण धारी
गगन अजिर घन आयल कारी

कतहु युद्ध दिनकर संऽ बजरल
पूब क्षितिज संऽ पश्चिम अविरल
अछि जाइत दौड़ल घन सैनिक
चढ़ि-चढ़ि नभ पथ पवन सवारी
गगन अजिर घन आयल कारी

लागल बरिसय मेघ झमाझम
बिजुरि भागय नाचि छमाछम
भेल गगन संऽ मिलन धरित्रिक
शॊक-शमन सभ विविध सुखकारी
गगन अजिर घन आयल कारी

कसगर वर्षा बड़ जल जूटल
बाधक आरि-धूर सभ टूटल
पॊखरि-झाखरि भरल लबालव
भरल कूप जल केर बखारी
गगन अजिर घन आयल कारी

दादुर वर्षा-गीत गवैये
झिंगुर-गण वीणा बजबैये
अंधकार मे खद्यॊतक दल
उड़ल फिरय जनु वारि दिवारी
गगन अजिर घन आयल कारी

मित्र मेघ संऽ मधुर समागम
भेल तते मन हर्षक आगम
चित्रित पंख पसारि नवैये
केकि केकारव उच्चारि
गगन अजिर घन आयल कारी

उपवन-कानन-तृण हरियायल
हरित खेत नव अंकुर आयल
हरित रंगसंऽ वसुधातल कें
रंङलक घन रंङरेज लगारी
गगन अजिर घन आयल कारी

थाल पानि संऽ पथ अछि पीड़ित
माल-मनुष्यक गॊबर मिश्रित
खद-खद पिलुआ गंध विगर्हित
गाम एखन नरकक अनुकारी
गगन अजिर घन आयल कारी

एखनहि रौद रहैय बड़ बढ़ियां
पसरल लगले घन ढन्ढनियां
एखनहिं झंझा उपसम लगले
पावस बड़ बहरुपिया भारी
गगन अजिर घन आयल कारी

काज न कॊनॊ बुलल फिरैये
मेघ अनेरे उड़ल फिरैये
मनुज-समाज जकां अछि पसरल
मेघहुं मे जनु बेकारी
गगन अजिर घन आयल कारी

एखनुक नेता जकां कतहु घन
झूठे किछु दै अछि आश्वासन
काजक जल नहि देत किसानक
निष्फल सभता काज-गुजारी
गगन अजिर घन आयल कारी

दूर क्षितिज घनश्याम सुझायल
इंद्र धनुष वनमाल बुझायल
विद्युत वल्लि नुकाइत राधा-
संग जेना छथि कृष्ण मुरारी
गगन अजिर घन आयल कारी

धूमिल नभ तल धूमिल आशा
सभतरि भाफक व्यापक वासा
उत्कट गुमकी गर्म भयंकर
व्याकुल-प्राण निखल नर-नारी
गगन अजिर घन आयल कारी

लागल टिपिर-टिपिर जल बरसय
कखनहुं झीसी कृश कण अतिशय
बदरी लधने मेघ कदाचित
रिमझिम-रिमझिम स्वर संचारी
गगन अजिर घन आयल कारी

कखनहुं सम्हरि जेना घन जूटल
बूझि पड़य नियरौने भूतल
बरिसय लागल अविरल धारा
गेला जेना बनि घन संहारी
गगन अजिर घन आयल कारी

निरवधि नीरद जल बरिसौलक
कृषक बंधु कें विकल बनौलक
खेत पथारक कॊन कथा बढ़ि
बाढ़ि डुबौलक घर घड़ारी
गगन अजिर घन आयल कारी

Friday, October 24, 2008

किएक प्रिये ?

काल्हि सांझ
जखन इजॊरियाक गर्भ मे
छटपटाइत रहै
अन्हरिया
आगू बढ़ि हम
खॊंसि देने छलहुं
अहांक जूड़ा मे
एकटा शब्द
ऒकरा संऽ अहांक गप्प भेल ?

पुनः आइ
जखन हमरा आंखिक अन्हरिया मे
वैह इजॊरिया चुपचाप
एकदम चुपचाप
किलॊल कऽ रहल छल
हम अहां संऽ पूछि उठलहुं
अपराजिताक गाछ मे लटकल
हमर ओहि शब्दक हाल
जकरा अहां ऒत्तहि छॊड़ि आयल छी
आ जे पछिला जाड़क गप्प थिक
अहां कें मॊन अछि ?
ऒ अन्हार
जखन हाथ हाथ संऽ अदेख
अजान छल
हमर प्राण
अपन केहन तऽ आंखि संऽ
एक दॊसरा कें तकैत-तकैत
कॊसीक दू छॊर भऽ गेल

प्रिये !
अन्यथा जंऽ नहि ली
तऽ पूछि एकटा गप्प ?
ऒहि शब्द संऽ अहांक
किछु जवाब-तलब भेल
ऒ ऒ जे अछैत जाड़
आ जाड़क कुहेस
पड़ायल छल
घूर लग सं अकस्मात
एकटा कठिन भॊर मे
जा कऽ ठाढ़ भऽ गेल छल
थान तर अहांक लऽग
जतऽ उज्जर नूआ मे
अहां
नहुए-नहुए फूलडाली भरैत छलहुं...?

तखन तऽ ऒहॊ शब्द
ऒहिना टप-टप खसैत
रहि गेल हेतै
पारिजात पुष्पक संङ
निस्संदेह
लाज संऽ गरि गेल हेतै
ऒहि निपलाहा धरती मे
आब ऒ पूजा यॊग्य नहि रहल
जे ऒकरा अहां नहि टॊकलिएय, प्रिये !

आ ऒकर की भेलै प्रिये !
ऒ ऒ जे बरख भरि संऽ
अहांक गेरुआ तऽर
दहॊ-बहॊ कानि रहल रहल अछि
अहां संऽ अतेक निकट रहितॊ
ऒकर भाग्य किएक नहि बदललै
किएक प्रिये !
एना किएक हॊइत छैक
हमरा शब्दहुं सङ
जेना हमरा स‍ङ भेलै ...!

विवेकानंद झा
११ अप्रैल ९६

एना हॊइत रहतै

एक मुट्ठी अबीर
हाथ मे लऽ
एकटा निरर्थक आवाज निकालैत
हम हवा कें लाल कऽ दैत छिएय
अबीर उड़ै छै हवा मे
‌क्षण भरि
हवा हॊइत छै लाल
हम देखैत छिएय

हम देखैत छिएय
आ प्रयास करैत छिएय
ओहि जिनगी के लाल करबाक
जे जिनगी मुट्ठी मे
नहि अबैत छै

आ जतऽ इ नेनपनि हॊइत छै
ओत्तहि हॊइत छै
हमर प्रेम
आ जतऽ हॊइत छै
हमर प्रेम
ओत्तहि हमर मूर्खता मे
एकटा सतरंगी परदा हॊइत छै
किछु स्मृति, किछु फूल, किछु कांट
आ ओहि सब संऽ
अपन अंग-वस्त्र बचबैत
अबैत
अहां हॊइत छिएय

पुनः
लहलहाइत खेतक मध्य
हमर स्मृति मे
कलकल बहैत एकटा धार
हॊइत छैक

एम्हर बहुत दिन संऽ
ओतऽ मृत्यु बसैत छैक
ई कतेक नीक छै
जे जतऽ नहि हॊइत छी अहां
ओतऽ भॊरक कुहेस जकां
खसैत छै ठरल मृत्यु
आस्ते-आस्ते
लॊक कें ई बूझक चाही
बूझल रहक चाही

जे एक बेर - दू बेर
हम खूब जॊर संऽ चिचिआयब
अबस्से
जे जा धरि सतरंगी परदाक पाछू संऽ
हमर मूर्खता मे
अहां अबैत रहब
हॊइत रहत अहिना
अगनित जन्म धरि
जे अहां रहब, हम रहब
लहलहाइत खेत सबहिक बीच संऽ
बहैत एकटा धार रहत
समयिक वज्रपात रहत
आ हम चिचिआयब
कि जाधरि
सतरंगी परदाक पाछू सऽ
अहां अबैत रहब
स्वप्ने मे बरू
एना हॊइत रहतै

विवेकानंद झा
१७ जनवरी ९७

Friday, October 17, 2008

बहुत दिनक बाद

आइ प्रातः
इजॊतक यात्रा संऽ पूर्व
हमर पदचाप सुनि
कनेके काल पहिने
सूतल
हमर मॊहल्लाक खरंजा
अपन गाढ़ निन्न संऽ
जागि उठलै
बहुत दिनक बाद
हमर आंखि मे
अरुणिमा
पहिने उलहन दैत

बाद मे
मुसकिआएत

बहुत दिनक बाद
मऽन पड़ल एकटा पांति
'अलस पंकज दृग
अरुणमुख
तरुण अनुरागी
प्रिय यामिनी जागी'
विवेकानंद झा
१२ अक्टूबर ९४
लालबाग, दरभंगा

Thursday, October 16, 2008

हे सिंगरहार

कतेकॊ बेर सुनलहुं
अहांक मुंह संऽ‍
आ पढलहुं
कतेकॊ बेर
अहांक आंखि मे
घुमरैत
एकटा पांति
हम
हे सिंगरहारक फूल !

मुदा तखनॊ
नीपल अथवा अखरा
कॊनॊ रूपें
तैयार छी सतत्
अहांके स्वीकार करबा लेल
कनेक चॊट तऽ लागत
अबस्से
नीक लगैत हॊएत
अहांकें
आकाश दिव्य, देवतुल्य कपटी !
बुझल अछि
चाहियॊ कऽ शून्याकाश नहि भेट सकत
विश्राम दऽ सकब
हमहि
चाहे ओ जड़ता तॊड़ि
जड़ते मे आयब
किएक ने हॊए

कनेक चॊट तऽ पौरुषक
लगबे करत
देबक माथ चढ़ऽ लेल
चाहे फेर ओतऽ से मौला कऽ
बहि आबी
हमरे लऽग
किएक नहि ?
अंतिम निदान तऽ
धरतीए थिक ।

विवेकानंद झा
२९ अक्टूबर ९४